Saturday, December 24, 2011

गप्प सरक्का -------by Satya Narayan Jha

आजुक लाइफ स्टाइल काफी बदलि गेलैक अछि |तै लोकक दिनचर्या सेहो बदलि गेलैक अछि |नौकरी पेशा आदमी जिनका बहुत तन्खाह छनि सेहो बहुत सुखी नहि छथि |ओहो अत्यंत तनाव मे रहैत छथि |कारण आर्थिक रूप सं मजबूत रहितो ओ अर्थ क’ लेल तनाव मे रहैत छथि |Actuaally they are not leading very comfortable life . एतबे नहि ओहि लोकक पारिवारिक जीवन सेहो कसमकस रहैत छैक |एहन हर लोक क’ गप्प सरक्का सुनबाक चाही.|अगर लिखल गेलैक अछि त’ पढ़क चाही | हँसी लागि गेल त’ बुझू ,दबायक काज करत |ओना मनहुश होयब त’ हँसी कोना लागत ,ज’ अहाँ नहि हसब त’ अहाँक देखि हमरा जरुर हँसी लागि जायत |--------
त’ सुनू एकटा गप्प |ई गप्पे छैक मुदा हिन्दुस्तान छैक ,ई बात सत्तो भ’ सकैत छैक |ई बात गलत छैक अथवा सही ,से त’ वैह कहता जे आइ० ए० एस० क’ तैयारी करैत हेताह |पछिला सालक प्रश्न मे खोजताह त’ भ’ सकैत छैक प्रश्न आ उत्तर भेट जानि |हम ओ प्रश्न आओर उत्तर एहिठाम उद्धृत क’ दैत छी |एहि उत्तर सं एक्सपर्ट प्रसन्न भ’ ९० प्रतिशत मार्क देने छलखिन |त’ सुनू ---एक बेर आइ०ए० एस०’ (यु० पी० एस० सी० ) क’ इंटरभ्यु
मे एक कंडीडेट क’ प्रश्न पुछल गेलैक जे, एक कप चाह छैक आ ओहि मे एकटा मांछी मरि गेल छैक |चारि देस यथा इंग्लॅण्ड ,चीन ,रूस आओर भारत | माछी बाला चाह देखि चारु देसक प्रतिक्रया बताऊ |एकोटा उत्तर सही नहि रहैक |अंत मे एकटा छात्र जिनका ९० प्रतिशत मार्क एलनि हुनकर उत्तर नीक छलनि |ओ परीक्षा मे प्रथम केलनि |ओ कहलखिन जे –श्रीमान .पहिने इंग्लैंड बाला चाह क’ देखलखिन |होटल मालिक क’ बिना कहने ओ चाह देखि चलि गेलाह कारण इंग्लैंड बाला स्मार्ट होह्त छैक ,ओ एहन चाह कोना पिबतथि |चीन बालाक लेल मांछी की ,ओ
मांछी समेत पी जेतैक |रूस साम्यबादी देस ,चीज कें कोना बर्बाद करतैक तै ओ मांछी हटा चाह पीबि जेतैक |भारतीय पहिने टेबुल पर एक गिलास पानि पियत ,तखन चाह दीस देखत | फेर इम्हर उम्हर देखत आ धीरे सं मांछी क’ कप सं निकालि आधा कप चाह पियत आ फेर ओहि मांछी क’ कप मे राखि, बेरा क’ बजाय डांटत आ होटल सं तामसे निकलि जायत |ई प्रश्न आइ० ए० एस० क’ मॉडल प्रश्न आ उत्तर छैक |
गप्प सरक्का -------

No comments: